maithilpremi Sachin kumar maithil

मैथिली शायरी काव्य कोष

  • कविता
  • .-.
  • गजल
  • .-.
  • शायरी
  • .-.
  • गीत
  • .-.
  • मोनक के बात
  • .-.
  • अहिं हमर जान छी बिभा
  • .-.
  • नाटक चुटकुला हंसी मजाक
  • .-.
  • sachinkumarmandal141@gmail.com
  • .-.https://twitter.com/sachinmaithil79

Thursday, 26 October 2017

gajal Bibha jee बनहाइत आहाँ के बंधन में


@ गजल  @
x- - - - - - - - - प्रियतम - - - - - - - - -x










जेना सुगंध चंदन में
.............. कोमलता जेना सभक मन में !
आहाँ बसल छी प्रियतम
..................... हमरा पूरा एहि जीवन में !!
.

सबटा सुन्नर लागैया
........................ जग में रिश्ता - नाता !
ओहु सं प्रिय लागैया हमरा
................. बनहाइत आहाँ के बंधन में !!
.

रहैया संदेह दुख आ सुख के
............... जं रहै छी कखिनो असगर में !
लागै हमरा आहाँ लगे में छी
.............. जेना हमरा घर आ आँगन में !!
.

आँइख के गिरा क पर्दा
.............. डुइब जाय छी आहाँ के मन में !
हम समर्पित करै जिनगी
............. प्रियतम आहाँ के मन वंदन में !!


 .


….. सचिन कुमार मैथिल
….. सचिन कुमार मैथिल
__ "घर_ आमाटोल
__" पोस्ट_ बिरपुर
__" थाना_ बासोपट्टी

__" जिला_ मधुबनी
__" मिथिला " ( बिहार )
__" Date :- 24/10/2017

__" Mo. 9576381126   

Chhath puja छंठ मैया के अर्घ हम चरहेबै

Image may contain: one or more people
@--------------- कविता ---------------@
x..................... सीर्सक .....................x
x..... छंठ मैया के अर्घ हम चरहेबै ......x

भोरे उइठ क घाट छील जेबै
ठकुआ-भुस्बा हम मिल क बनेबै !
केरा के हम घोर ल जेबै
छंठ मैया के अर्घ हम चरहेबै !!

एक साल प छंठ पाबैन छै
सबकोई मिलक धूम-धाम सं मनेबै !
सब घाट के निक सं सजेबै
छंठ मैया के अर्घ हम चरहेबै !!

डाला लक पूजा जेतै
पाइन में खार भ माँ हाथ उठेतै !
कुसियार के पता खूब लहरेतै
छंठ मैया के अर्घ हम चरहैबै !!

कटैया सं हम डीजे मगबै
पूनम मिश्रा दीदी के गीत बजबै !
गीत बाजक छँठी मैया के मनेबै
छंठ मैया के अर्घ हम चरहैबै !!

छठि महापर्वके सुखद अवसर पर
आँहाक सम्पूर्ण परिवारक सदस्य
संगे आँहाक सुख समृद्धि, शान्ति
संगहि सभटा करकलेश दूर हुए सेह
कामनाक संग शुभकामना व्यक्त करैत छी !!


….. सचिन कुमार मैथिल
….. सचिन कुमार मैथिल
__ "घर_ आमाटोल
__" पोस्ट_ बिरपुर
__" थाना_ बासोपट्टी

__" जिला_ मधुबनी
__" मिथिला " ( बिहार )
__" Date :- 26/10/2017

__" Mo. 9576381126  

Saturday, 21 October 2017

Kavita Mithila ' मिथिला के सम्मान '

!!  जानकी मंदिर  !!

@--------------- कविता  ---------------@
x..................... सीर्सक  .....................x
x............. मिथिला के सम्मान ...........x
हम करै छी मिथिला के सम्मान !!
हम छी मिथिला के वासी !
राज्य हमर मिथिला महान
हम करै छी मिथिला के जयगान !
हम करै छी मिथिला के सम्मान !!


तन समर्पित, मन समर्पित,
और समर्पित हमर प्राण।
आहां प जाने माँ कतेको
वीर देलकै बलिदान !
राज्य हमर मिथिला महान !
हम करै छी मिथिला के जयगान !
हम करै छी मिथिला के सम्मान !!


नई हिंदू, नई मुस्लिम, नई सिक्ख, नई ईसाई
से पहिले छी, हम इंसान !
समैझ जाऊ सब मैथिल भाई
एक माँ के सब छी संतान !
नै चाहै बुराई केकरो
करैय हरदम सब के कलयाण !
राज्य हमर मिथिला महान !
हम करै छी मिथिला के जयगान !
हम करै छी मिथिला के सम्मान !!

छैय की कर्तव्य हमर
आब गेली हम पहचाईन !!
रहै खुशीहाल सैदखन मिथिला
मिथिला ऐच्छ हमर सान !
मिथिला ऐच्छ हमर सान !
हम सचिन छी मिथिला के वासी !
राज्य हमर मिथिला महान !
हम करै छी मिथिला के जयगान !
हम करै छी मिथिला के सम्मान !!


….. सचिन कुमार मैथिल
….. सचिन कुमार मैथिल
__ "घर_ आमाटोल
__" पोस्ट_ बिरपुर
__" थाना_ बासोपट्टी

__" जिला_ मधुबनी
__" मिथिला " ( बिहार )
__" Date :- 09/09/2017

__" Mo. 9576381126  

kavita ' दिवाली '

Image may contain: 1 person, standing
@--------------- कविता  ---------------@
x..................... सीर्सक  .....................x
x.................... दिवाली ......................x


आउ मील क दीप जलाऊ
अँधेरा के दूर भगाऊ
रैह नै जाइ अँधेरा कतौ
घर के कोनो सुन कोना में
सैदखन एहन कोई दिप जलाऊ
सब घर आँगन में रंगोली बनाऊ
आउ सब कोई मील क दीप जलाऊ

सब दिन जिय छी अपने के लेल
कहियो दोसरों के लेल जी क देखु
सब दिन अपने लेल रौशनी तकली
एक दिन दिप के रौशनी बैन क देखु
दिप जका सबदिन उजियारा फैलाऊ
आउ सब कोई मील क दीप जलाऊ

जाइत-पाईत ऊंच-नीच के दिवार हाटक
आपस में मिली जुली मिथिला के सम्मान बढ़ाऊ
समाज सेवा संकल्प लक मन में
मिथिला सं नफरत के दिवार हटाऊ
आउ सब कोई मिल क हाथ बटाऊ
आउ सब कोई मील क दीप जलाऊ !!

.
.
 


….. सचिन कुमार मैथिल
__ "घर_ आमाटोल
__" पोस्ट_ बिरपुर
__" थाना_ बासोपट्टी

__" जिला_ मधुबनी
__" मिथिला " ( बिहार )
__" Date :- 21/10/2017

__" Mo. 9576381126 

Kavita 'भाई दूज'

Image may contain: 3 people, people smiling, people standing
!! छवि हमर पूजा बहिन आ आरती  !!

- कविता - 
" भाई दूज " 

स्नेह सं भरल आशीर्वाद सब दियो
ई ख़ुशी में मंगल गीत हम गाउ
भाई दूज के पावन पर्व हम मनालु
आउ भैया आहाँ के तिलक लगादु

कतेक पावन दिन ई येलैय
जे भाई बहिन के फेरं सं मिलेलक
मन में बहैय स्नेहक गंगा
ख़ुशी के आँशु हम केना क छुपाउ
भाई दूज के पावन पर्व हम मनालु
आउ भैया आहाँ के तिलक लगादु

खुश किस्मत छी हम बहिन सब
जे भगवान देलक भाई सन गहना
आहाँ के टिका लगाक, मुंह मीठ करबै
आहाँ के लम्बी उम्र के वरदान हम मगबै
भैया आहाँ प वारी हम जाऊ
भाई दूज के पावन पर्व हम मनालु
आउ भैया आहाँ के तिलक लगादु

फूल सं आरती के थाली हम सजबै
चन्दन अछत सं भैया के तिलक लगबै
भैया कहियो आहाँ प संकट नै आबैय
आहाँ भविष्य के कामना गीत हम गाऊ
भाई दूज के पावन पर्व हम मनालु
आउ भैया आहाँ के तिलक लगादु

भाई दूज के सब भाई बहिन के बहुत बहुत बधाई संग शुभकामनाऐं !!
छवि हमर पूजा बहिन आ आरती चार साल पाहिले के !! 
 .
.
 

….. सचिन कुमार मैथिल
….. सचिन कुमार मैथिल
__ "घर_ आमाटोल
__" पोस्ट_ बिरपुर
__" थाना_ बासोपट्टी

__" जिला_ मधुबनी
__" मिथिला " ( बिहार )
__" Date :- 21/10/2017

__" Mo. 9576381126 

Wednesday, 18 October 2017

जीबनक संगम गजल

….. सचिन कुमार मैथिल
..............गजल ...............

(......हमरा गेला बाद.......)
'''''जीबनक संगम गजल'''''
एहन दिन नै ऐत हमरा गेला बाद
भले दुनिया में खुश रहब आहाँ हमरा गेला के बाद !
कुछ त रैह जाइत आंहा दिल के में धरकैत जरूर
मानली की हमर याद नै आइत हमरा गेला के बाद !
हमरा मिलल छल रूप के परखक वरदान
दुनिया में केकरा देखेबै रंग हमरा गेला के बाद !
ई बेबसी के राइत इ बेचैनी के गम
ई प्रेमक जलन कहा जाइत हमरा गेला के बाद !
आँइख उठा क आई नै देखु गुलाब के
खुशबु आइत मगर दोसर भाईत हमरा गेला के बाद !
एहन दिन नै ऐत हमरा गेला बाद
भले दुनिया में खुश रहब आहाँ हमरा गेला के बाद !
 '
 '
 '
 '
 '




….. सचिन कुमार मैथिल
__ "घर_ आमाटोल
__" पोस्ट_ बिरपुर
__" थाना_ बासोपट्टी

__" जिला_ मधुबनी
__" मिथिला " ( बिहार )
__" Date :-12/10/2017

__" Mo. 9576381126 

Karwa chauth ~करवा चौथ

 Image may contain: one or more people
>>>> कविता  <<<<
x------- सीर्सक  -------x
🌛 करवा चौथ 🌜
---------------------------x-------------------------
हे चाँद आँहा जल्दी सं आइब जाऊ
भूखल पियासल हम दिन भर छी बेक़रार
चलनी सं करब पिया के दीदार
शर्मा क हम नजैर झुकाइब
पिया मिलन में आँहा देर नै लगाऊ
हे चाँद आँहा जल्दी सं आइब जाऊ

मेहंदी रचाइब हाथ में सजबै कंगना के साथ में
पूजा के थाली लेबै और लेबै चलनी हाथ में
मांगब आँहा सं रहै पिया हरदम साथ में
लम्बी उम्र के वरदान पिया के द जाऊ
हे चाँद आँहा जल्दी सं आइब जाऊ

हमर साज सिंगार सब पिया से ऐच्छ
हमरा जीवन में प्रेम पिया से ऐच्छ
घर और परिवार सब पिया से ऐच्छ
सतो जन्म के साथ के वरदान द जाऊ
हे चाँद आँहा जल्दी सं आइब जाऊ

मनु भूख सं नै अकुलैब हम
पर पिया के बेचैनी नै सैह पैब हम
हमर प्रिय पियात जब हमरा अधर सुधा
बादल में आँहा छुईप जैब लेकिन पहिले
हे चाँद आँहा जल्दी सं आइब जाऊ

करवा चौथ बहुत बहुत बधाई संग शुभकामनाए !!

------------------------------------------------------


….. सचिन कुमार मैथिल
__ "घर_ आमाटोल
__" पोस्ट_ बिरपुर
__" थाना_ बासोपट्टी

__" जिला_ मधुबनी
__" मिथिला " ( बिहार )
__" Date :-08/10/2017

__" Mo.No..9576381126