जेना सुगंध चंदन में
.............. कोमलता जेना सभक मन में !
आहाँ बसल छी प्रियतम
..................... हमरा पूरा एहि जीवन में !!
.
सबटा सुन्नर लागैया
........................ जग में रिश्ता - नाता !
ओहु सं प्रिय लागैया हमरा
................. बनहाइत आहाँ के बंधन में !!
.
रहैया संदेह दुख आ सुख के
............... जं रहै छी कखिनो असगर में !
लागै हमरा आहाँ लगे में छी
.............. जेना हमरा घर आ आँगन में !!
.
आँइख के गिरा क पर्दा
.............. डुइब जाय छी आहाँ के मन में !
हम समर्पित करै जिनगी
............. प्रियतम आहाँ के मन वंदन में !!
X*********************************X
,,
,,
,,
,,
,,
,,
…..✍ सचिन कुमार मैथिल
__ "घर_ आमाटोल
__" पोस्ट_ बिरपुर
__" थाना_ बासोपट्टी
__" जिला_ मधुबनी
__" मिथिला " ( बिहार )
__" Date :- 24/10/2017
__" Mo. 9576381126
No comments:
Post a Comment