![]() |
| -- समा चकेबा -- |
-- समा चकेबा --
भरि साल ओ रहली सासुर
नैहर आबो त आबू
एलै देखियौ खरनाके दिन
सामा चलू बनाबू
छोटकी बहिनो समा बनतै
जेठकी दिदी चकेबा
हम बनाबी ढोलकियासब
भौजी बनबू चुगला
एलै एहन सोहाबन राइत
चकमक करै चंगेरा
ताँहिपर चारुदिस पसरल
सामा दाइके डेरा
गैयौ सबकिओ गीत गोसाओन
करियौ श्री गणेश
भैया जिता' सालो-साल
करथिन् कृपा महेश
समा-चकेबा खेलू बहिना
नीक गीतसब गाबू
भैया घर हो अनधन सोना
चुगलाके मुंह झरकाबू
…..✍ सचिन कुमार मैथिल
__ "आमाटोल बासोपट्टी "
__ " मधुबनी " मिथिला "
__ "( बिहार )
__ "Date :- 27-11-2015


No comments:
Post a Comment