
******** मैथिली गजल ********

पहिल भेँटक ऊ गुलाब एखनो रखने छी
समयकेँ अन्हरमेँ उड़ि गेलै पन्ना बहुत
फाटल छै मुदा ऊ किताब एखनो रखने छी
निसाँ उतरै कहूँ पिबी लै छी जखन तखन
अहाँक इयादक शराब एखनो रखने छी
मानैत छी किछु हमरो दोष छलै पक्का मुदा
अहाँपर अपन बिश्वास एखनो रखने छी
निपल रखैत छी अँहि लेल मोनक आँगन
अहाँ बिनु आँगन उजाड़ एखनो रखने छी
कर्जा सधा लिअ अँहिक मोनके शान्ति भेटत
हमर जे प्रेमक उधार एखनो रखने छी
हमर गजल पढ़ि साइद अहाँ बुझि जेबै
पतझड़ छै बसन्ती आस एखनो रखने छी….!
__✍ सचिन कुमार मैथिल
हाल__"बासोपट्टी आमाटोल"
पोसट _ बीरपुर
थाना _ बासोपट्टी
जिला_ मधुबनी ( बिहार ) 847225
मोबाइल नो. +91 9576381126
हाल__"बासोपट्टी आमाटोल"
पोसट _ बीरपुर
थाना _ बासोपट्टी
जिला_ मधुबनी ( बिहार ) 847225
मोबाइल नो. +91 9576381126
No comments:
Post a Comment