***** किरण बहन ****
---- ---- ---- --- नारी ---- ---- ---- ----
***************×***************
बेटी-बहिन-पत्नी आ माय बनि,
जे हर रूप मे अछि उपकारी।
धरती पर ईश्वरक वरदान,
देवी रूप मे अछि नारी।
बेटी अछि बापक अरमान,
बहिन अछि भायक सम्मान।
पत्नी होइत अछि पतिक मुस्कान,
माय बेटाक शरीरक प्राण।
जीवन मे सभक अपन महत्व छै,
सभ मिल बनेलक दुनियाँदारी।
धरती पर इश्वरक वरदान,
देवी रूप मे अछि नारी।
परेशानी नहि बेटी देख सकैए,
बहिन नहि देखि सकै बेचैन।
पत्नी समाधान मे लागय,
माय छोड़ै छै अन्न आ पानि।
सभ रूप मे मदति करैत अछि,
सभ रूप मे अछि हितकारी।
धरती पर इश्वरक वरदान,
देवी रूप मे अछि नारी।
बेटी अछि बापक दुलार,
बहिन अछि भायक प्यार।
पत्नी पति केँ श्रृंगार,
माय अछि बेटाक जीवनक आधार।
चारु जिनगीक पहिया छै,
जेना चारि पहिया पर चलै गाड़ी।
धरती पर इश्वरक वरदान,
देवी रूप मे अछि नारी।
__

घर_ आमाटोल
पोस्ट_ बिरपुर
थाना_ बासोपट्टी
जिला मधुबनी (बिहार 847225)
Mo :-+91 9576381126

__

No comments:
Post a Comment