maithilpremi Sachin kumar maithil

मैथिली शायरी काव्य कोष

  • कविता
  • .-.
  • गजल
  • .-.
  • शायरी
  • .-.
  • गीत
  • .-.
  • मोनक के बात
  • .-.
  • अहिं हमर जान छी बिभा
  • .-.
  • नाटक चुटकुला हंसी मजाक
  • .-.
  • sachinkumarmandal141@gmail.com
  • .-.https://twitter.com/sachinmaithil79

Friday, 27 November 2015

Sama chkeba ~ -- समा चकेबा

Image result for sama chakeva chugla
 -- समा चकेबा -- 

 -- समा चकेबा -- 

भरि साल ओ रहली सासुर
नैहर आबो त आबू
एलै देखियौ खरनाके दिन
सामा चलू बनाबू

छोटकी बहिनो समा बनतै
जेठकी दिदी चकेबा
हम बनाबी ढोलकियासब
भौजी बनबू चुगला

एलै एहन सोहाबन राइत
चकमक करै चंगेरा
ताँहिपर चारुदिस पसरल
सामा दाइके डेरा

गैयौ सबकिओ गीत गोसाओन
करियौ श्री गणेश
भैया जिता' सालो-साल
करथिन् कृपा महेश

समा-चकेबा खेलू बहिना
नीक गीतसब गाबू
भैया घर हो अनधन सोना
चुगलाके मुंह झरकाबू


Image may contain: 1 person, selfie and closeup
….. सचिन कुमार मैथिल
__ "आमाटोल बासोपट्टी "
__ " मधुबनी " मिथिला "
__ "( बिहार )
__ "Date :- 27-11-2015